Sunday, May 22, 2011

अबै रे मीता अबै जो

हेल्लो मिथिला ब्लगक शुरुआत २०६३ सालक नव वर्षारम्भक सङ्गहि कएने रही। ई ओ समय छल जखन नेपालमे लोकतान्त्रिक आन्दोलन उत्कर्षपर छल। एही समयमे pallav.blogsome.com क माध्यमेँ पल्लव पत्रिकाकेँ जीवन्त बनएबाक सेहो नियार कएने रही। मुदा समय, साधन आ तकनिकी ज्ञानक अभावक कारणेँ निरन्तर नहि भऽ पाएल। बादमे पासवर्ड हरा गेल आ अपने भोतिया गेलहुँ। एहि बीचमे कोनो धरानी हरेलहा चीजसभ उपर भेल। तेँ premarshi.wordpress.com शुरू कऽ चुकलाक बाबजूद एहि दुनूक ऐतिहासिकताकेँ निरन्तरता देबाक हिसाबेँ एकरा पुनः आगाँ बढा रहल छी।

एहि ब्लगकेँ Hello Mithila रेडियो कार्यक्रमक प्रतिच्छायाक रूपमे सेहो लऽ चलबाक विचार रहए, मुदा एखनधरि एहिमे Audio File संलग्न करबाक दऽर नहि भेटल अछि। जँ किनको Blogspot पर एहि सुविधा दऽ जानकारी हुअए तँ कृपया मार्गदर्शन करब।

सम्प्रति एकटा अपन गीत राखि रहल छी, जकर रचनाकार श्रीराज (नेपालमे आधुनिक मैथिली साहित्यकेँ जीवन आ विस्तार देनिहार डा. धीरेन्द्रक माझिल भाइ) आ गायकद्वय अविनाश मिश्र तथा मुकेश प्रियदर्शी छथि। एकरा हमसभ 'डेग' नामक एल्बममे सङ्ग्रहित कएने छी। एकर गीतसभकेँ सङ्गीत-नाट्यक रूपमे विभिन्न स्थानपर प्रस्तुत सेहो कएल गेल रहैक, जकर निर्देशन कएने छलाह रमेश रञ्जन।

1 comment:

Unknown said...

नमस्कार धिरेन्द्र दाजु किएक नइ देासर माध्यम सs प्रस्तुत कएल जाइ हैल्लेा मिथिला के अडियेा फाइल जेना soundcloud अउर केानेा देासर साइट सब अछि त "..........